
द सौर्य मिथिला समाचारदाता
महोत्तरी, वैशाख २३ ।
लालबाबु सिंह सिमेन्टके पिलर राखिकऽ बाँसके चार सहितक निर्माणाधिन घरके निर्माण कार्य अधुरे रहल आ अधुरे रहल नब घरमे रहएके हुनकसभक सपना ।तहिना, नब घर बनाकऽ लालबाबु अप्पन पत्नी आ दु गोटे बेटाबेटीक संग हँसीखुसी जीवन बिताबएके हुनक पत्नी निलम सिंहके सपना सेहो पुरा होबए नहि सकलन्हि ।
महोत्तरीक भंगाहा नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ मझौलिया टोल निवासी लालबाबुके अज्ञात रोगक कारण निधन भेलाक बाद एखन परिवार चलाबएके जिम्मेवारी ३७ वर्षक निलमके कन्हापर आएल अछि ।
लालबाबु सिंह हाउस पेन्टरके काज करैत छलाह आ ओ अपने कमौने पैसा सँ ४ गोटेके परिवार चलबैत आएल छलथि ।
लालबाबु के घरपरिवार हुनक कमाई सँ चलैत आएल छल । हुनक असामयिक मृत्यु के बाद निलमके पति के कृया कोनाकऽ करब, घर कोना कऽ चलाएब आ बेटाबेटीके पढाई लिखाईके खर्च कोनाकऽ जुटाएब ताहिके चिन्ता सतबए लागल छन्हि ।

निलम आ लालबाबु के एकटा १३ वर्षक बेटी सुप्रिना सिंह आ ११ वर्षक बेटा गौरव सिंह अछि । बेटा गौरव कक्षा दु मे पढैत अछि तऽ बेटी स’प्रिना कक्षा ८ मे अध्ययनरत अछि । पत्तिके मृत्यु के संगे हुनक घरमे यी तीन गोटे बाहेक आओर कियो नहि छथि ।
निलमसँगे हमसभ बातचीत करबाक प्रयास कएने छलौहँ म्ुदा ओ गप्प करए नहि मानलीह । मृतक सिंहक पत्नी बात करए नहि मानलाक बाद हमसभ हुनक मित्र लाल सिंह संगे बातचीत कएने छलहुँ । लाल सिंह कहैत छथि, ‘ सदिखन दारु पीबैत छल, ओहि दिन सेहो दा? पीबकऽ आएल छल, हमरासभके लगैए ओ दारुएमे किछु छल जाहि ह’नकर मृत्य’ भेल ।’
निलमके दुख जँका मझौलिया टोलके ललिता चौधरीके अवस्था सेहो ओहने अछि । ४५ वर्षक ललिताके ५५ वर्षक पत्ती मोहन चौधरीके सेहो अज्ञात रोगक कारण बितल वैशाख १० गते मृत्यु भेलाक बाद ललिता आ हुनक २० वर्षक बेटा कमल चौधरी बेसहारा भेल छथि ।

हुनक घर मोहनके कमाइर्ए सँ चलैत छल । हुनकसभके घर मोहन दोसरके खेतमे काज कऽ कऽ आनए बला पैसा सँ चलैत आएल छल । मोहन बह’त मिहिनेती छल आ दोसरके खेतबारीमे काज कऽ कहुना परिवार निके सँ चलबैत छलाह । ओहि कमाईसँ अप्पन बेटा कमलके अध्ययन सेहो करबैत आएल छलथि । बेटा कमल एखन कक्षा २ मे अध्ययनरत अछि, मुदा एहिके संग संगे मोहनके एकटा खराब आदति सेहो छल । अत्याधिक मदिरापान करए बला आदति ।
अप्पन आ बेटाके एकहिटा सहारा ओ अपने छलथि, घर खर्चसँ बेटाके पढाईधरिके खर्च ओ मेहनत कऽ कऽ आनएबला पैसासँ चलैत आएल छल, मृतक मोहन चौधरीके पत्नी ललिता कहलीह ।परिवारके एकहिटा सहारा रहल मोहनके मृत्युसँ हुनक परिवार बेसाहार बनल अछि ।आब हम कमाएब, पहिने हुनकर कमाई सँ घर चलैत छल आब हमरा कमाकऽ चलबए परत । की करबै ?’ ललिता भावुक बनैत कहलीह ।

महोत्तरीमे विगत १० दिनमे दु टा स्थानीय तहमे कऽ १२ गोटेके मृत्य’ भेलाक बाद एखन ओ दुनु स्थानीय तहके स्थानीयसभ शोकमे ड’बल अछि । महोत्तरीक भंगाहा नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ आ वार्ड नम्बर ७ मेघनाथ गोरहन्ना आ बर्दिवास नगरपालिका वार्ड नम्बर १२ मे वितल १० दिनभित्तर १२ गोटेके अज्ञात रोगक कारण मृत्यु भेलाक बाद ओ वार्ड आ टोलसभ शोकमे डुबल अछि ।
विगत १२ दिनमे भंगहा नगरपालिकाक ५५ वर्षक मोहन चौधरी, वैशाख ६ गते महेन्द्र चौधरी, वैशाख ७ गते नथुनी महरा, लालबाब’ सिंह, वैशाख १८ गते सिकिन्द्र सिंह, स’कदेव महरा, पलट साह आ रुप नारायण सिंहके मृत्यु भेलाक बाद बर्दिवास नगरपालिका वार्ड नम्बर २ मे गंगाराम सदा, सोमनी देवी वाँतर, सिकिन्द्र मण्डल आ भारत उत्तर प्रदेश लखिमपुर जिल्लाक मोतीलाल प्रजापतिके मृत्यु भेल अछि ।
गंगाराम सदाके पोस्टमार्ट कएलापर हुनक मृत्यु औलो रोगसँ भेल पुष्टि भेल अछि । तहिना सोमनी देवी मधुमेहसँ पिडित छलीह आ ओ नियमित रुपमे दबाई नहि खएने चिकित्सकसभके कहब अछि ।
२ गोटेके मृत्यु के कारण पत्ता लगाबएके लेल इपिडिमियोलोजी तथा रोग नियन्त्रण शाखाक मेडिकल सुपरीटेण्डेण्ट शाखासँ अमृत पोखरेल, विश्व स्वास्थ्य संगठनके प्रदेश दु के प्रतिनिधि डा. सुदेशा खडका, प्रदेश स्वास्थ्य निर्देशनलायके चिकितस्क डा. संजय यादव लगायतके टोली घटनाके वास्तविकता पत्ता लगबए लेल आएल हेल्थ अशिष्टेन्ट अधिकृत गिरेन्द्र झा बतौलन्हि अछि ।
ई टोली भंगहा वार्ड नम्बर ६ आ ७ तथा बर्दिवास नगरपालिका वार्ड नम्बर २ मे साम’दायिक परिक्षणके कार्य शुरु कएने ओ बतौने छथि ।हुनक अनुसार परिक्षण अएलाक बाद मात्रे हुनकसभके मृत्यु के कारणक विषयमे स्पष्ट रुपमे कहल जा सकैत अछि । यद्यपि प्रारम्भिक अनुमान विषाक्त मदिरा रहल ओ स्वीकार कएलन्हि ।

मृतक परिवारके कृया खर्च वापत २१ हजार रुपैया देल जाएत
भंगहा नगरपालिका प्रत्येक मृतक परिवारके कृया खर्चवापत २१ हजार रुपैया उपलब्ध करबएके निर्णय कएलक अछि ।नगरपालिकाके वितल वैशाख १८ गते बैसल बोर्डक बैसारसँ सहयोग रकम उपलब्ध करबएके निर्णय कएल गेल वडाध्यक्ष वास’देव सिंह जानकारी देलन्हि ।
ओ मृतक परिवारसभके आर्थिक स्थिती कमजोर रहलासँ ओसभ सन्तानके शिक्षा दिक्षाक लेल नगरपालिका तथा प्रदेश सरकारसंगे अपनेसभ पहल करएके प्रतिवद्धता व्यक्त कएने छथि ।
यो विषयमा टिप्पणी गर्नुहोस् !