विन्देश्वर ठाकुर
अहाँके ठोर देखिक’
लगैए अनमन फूलसन
चम्पा छी, चमेली छी
गुलाब छी, गेना छी
कहु न डियर अहाँ केना छी ?
अहाँके गाल देखिक’
लगैए लाल टुरुस
सेव छी,अनार छी
सुन्तला छी, पेड़ा छी
देखएमे अनमन जेना
ललका छेना छी
कहु न डियर अहाँ केना छी ?
अहाँके देह देखिक’
लगैए कचनार सन
सुन्नर छी, दिवगर छी
कली छी,संगमर्मर छी
हमर अन्हरिया मोनमे
इजोरियाक चान जेना छी
कहु न डियर अहाँ केना छी ?
यो विषयमा टिप्पणी गर्नुहोस् !