
द सौर्य मिथिला समाचारदाता
जनकपुरधाम, अगहन २७ । प्रदेश नंं २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत २१ हम शताब्दीमे हरबाह चरबाहके मुद्दा समाधानक लेल प्रदेश सरकार प्रत्येक प्रयास करबाक लेल तैयार रहल बतौलन्हि अछि ।
मुख्यमन्त्री राउत निवासमे राष्ट्रिय हरबाह चरबाह अधिकार मञ्चद्धारा बुझाओल गेल विभिन्न माँग सहितक ज्ञापनपत्र आइ ग्रहण करैत एखनुक अवस्थामे श्रमके शोषण करऽ चाहब गम्भीर विषय रहल कहैत एहिप्रति प्रदेश सरकार गम्भिर रहल बतौलन्हि ।
मुख्यमन्त्री राउत पहिलके सामन्ति समाजक अवशेषक रुपमे रहल हरबाह चरबाह मुक्तिक लेल प्रदेश सरकार अवलम्बन करएबला सभ उपायसभ अपनएबाक लेल तैयार भेल बतौलन्हि ।
मुख्यमन्त्री राउत दलित, गरिब, विपन्न समुदायक लेल प्रदेश सरकार विभिन्न प्रकारक कानूनसभक निर्माण कऽ कऽ ओहि वर्ग तथा समुदायक उत्थानक लेल काज शुरु कएने बतौन्हि ।
राष्ट्रिय हरुवा चरुवा अधिकार मञ्चक केन्द्रीय महासचिव रासलाल रामद्धारा बुझाओल गेल ज्ञापनपत्रमे हरबाह चरबाहके निशर्त रुपमे पूर्ण मुक्ति देबऽ पड़त, मालिकसँ लेल गेल खारिज होबए पड़त, सरकारी स्तरसँ एहिके तथ्यांक संकलन होबए पड़त सहितक माँग कएल गेल अछि ।
विभिन्न ९ सुत्रीय मागसभमे प्रदेश स्तरमे आयोगक गठन होबए पडत, शिक्षा स्वास्थ्य सहज रुपमे उपलब्ध होबए पडत, श्रमके आधिकारिक रुपमे अनुगमन होबए पडत माँग कएल गेल अछि ।
यो विषयमा टिप्पणी गर्नुहोस् !