द सौर्य मिथिला समाचारदाता
जनकपुरधाम, आशिन ३० गते ।
महोत्तरीमे व्यापारीसँ घुस लैतकाल एक गोटे असई पकराएल अछि । भारतसँ आनल जाएबला मालसामानसभ सिमानाकासँ नेपाल आनि देब कहैत व्यापारीसँ १३ हजार रुपैँया घुस लैत काल प्रहरी सहायक निरिक्षक वृजेशप्रसाद चौधरी पकराएल अछि । चौधरीके आइ दुपहरमे दू बजेदिस पकरलगेल अछि ।
चौधरीके अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग बर्दीबाससँ खटल टोली पकरने अख्तियार जनौलक अछि । पकराएल चौधरी महोत्तरी औरही नगरपालिका वाड नम्बर ४ मे रहल अस्थायी प्रहरी पोस्ट कठुधारक ईन्चार्ज सेहो छथि ।
चौधरीके अनुसन्धानक लेल बर्दीबासस्थित अख्तियारक कार्यालयमे राखलगेल अछि ।
यो विषयमा टिप्पणी गर्नुहोस् !