द सौर्य मिथिला समाचारदाता
धनुषा, पुस ११ ।
टका भौतिक पूर्वाधार निर्माणमे रकमान्तर कएलाकबाद दुविधाके अवस्था उत्पन्न कएल गेल अछि । नेपाल स्वास्थ्यकर्मी सङ्घ धनुषाद्वारा आइ जनकपुरधाममे आयोजित अन्तक्र्रिया कार्यक्रममे प्रदेश सरकारद्वारा स्वास्थ्य आ शिक्षा क्षेत्रमे विनियोजन कएल गेल ५७ करोड टका रकमान्तर कऽ भौतिक पूर्वाधार निर्माणमे खर्च कएल गेल जानकारी देल गेल अछि ।
सरकार प्रसूति सेवा, मच्छर नियन्त्रण, एचआइभी सेवामे विनियोजन कएल गेल टका रकमान्तर कएल गेलाक कारण सेवा प्रभावित भेल अछि । सङ्घक केन्द्रीय अध्यक्ष रामजी घिमिरे सरकार नहि लागबला रोगक ईलजाक लेल विनियोजन कएल गेल ६६ प्रतिशत रकम रकमान्तर कएल गेल बतौलन्हि ।
सङ्घक धनुषा जिल्ला अध्यक्ष रामगुलाम कर्ण समायोजन भऽ कऽ आएल स्वास्थ्यकर्मीके हाजिर नहि करएबाक, तलब भत्ता नहि देबाक, तलब नहि दऽ कऽ रमाना पत्र देबाक जेहन मानसिक तनाव उत्पन्न होएबाक कार्य भऽ रहल बतौलन्हि जानकारी देलन्हि अछि ।
सङ्घका प्रदेश नं २ क अध्यक्ष शिवजी दास स्वीकृत दरबन्दीसँ कतौ अधिक आ कतौ कम स्वास्थ्यकर्मीक समायोजन कएलापर सेवा प्रभावकारी होबए नहि सकल बतौलन्हि ।
यो विषयमा टिप्पणी गर्नुहोस् !